2 Timóteo 2
jivən səndesh (MAI) vs BKJ
1 एहि लेल, यौ हमर बालक, अहाँ मसीह यीशुक कृपा द्वारा बलवन्त होइत जाउ,
1 Tu, portanto, meu filho, sê forte na graça que há em Cristo Jesus.
2 और जे बात सभ अहाँ बहुत गवाह सभक समक्ष हमरा सँ सुनने छी, तकरा एहन विश्वासयोग्य लोक सभक जिम्मा मे सौंपि दिऔन जे सभ दोसरो लोक सभ केँ सिखाबऽ मे सक्षम होथि।
2 E as coisas que ouviste de mim entre muitas testemunhas, as mesmas confia a homens fiéis, que sejam capazes de também ensinarem os outros.
3 मसीह यीशुक एक नीक सैनिक जकाँ कष्ट उठाबऽ मे हमरा सभक संग सहभागी होउ।
3 Tu, portanto, suporta o sofrimento, como um bom soldado de Jesus Cristo.
4 जे सैनिक युद्ध मे जाइत अछि, से अपना केँ संसारक झंझटि मे नहि फँसबैत अछि जाहि सँ ओ अपन सेनापति केँ प्रसन्न कऽ सकय।
4 Ninguém que milita se embaraça com os negócios desta vida, a fim de agradar àquele que o escolheu para ser soldado.
5 एहि तरहेँ कोनो खेलाड़ी जँ खेल-कुदक नियमक अनुसार नहि खेलत तँ ओ पुरस्कार नहि पाबि सकत।
5 E, se um homem também luta pela vitória, não é coroado se não lutar legalmente.
6 जे किसान पसेना बहा कऽ परिश्रम करैत अछि, तकरे सभ सँ पहिने फसिलक हिस्सा पयबाक अधिकार छैक।
6 O lavrador que trabalha deve ser o primeiro a participar dos frutos.
7 अहाँ हमर एहि बात सभ पर नीक सँ विचार करू, कारण, ई सभ बात पूर्ण रूप सँ बुझऽ मे प्रभु अहाँक सहायता करताह।
7 Considere o que eu digo, e o Senhor te dê entendimento em todas as coisas.
8 यीशु मसीह केँ स्मरण राखू, जे दाऊदक वंश मे जन्म लेने छलाह आ जे मृत्यु सँ जिआओल गेल छथि। हम जे सुसमाचार सुनबैत छी, से यैह बात सिखबैत अछि।
8 Lembra-te de que Jesus Cristo, que é da semente de Davi, foi ressuscitado dos mortos, segundo o meu evangelho;
9 एही सुसमाचारक लेल हम दुःख भोगि रहल छी—एतऽ तक जे अपराधी जकाँ जहल मे बन्दी छी, मुदा परमेश्वरक वचन केँ बन्दी नहि बनाओल जा सकैत अछि।
9 pelo que sofro dificuldades como um malfeitor, e até prisões; mas a palavra de Deus não está presa.
10 तेँ हम ई सभ कष्ट तिनका सभक हितक लेल धैर्यपूर्बक सहि लैत छी, जिनका सभ केँ परमेश्वर चुनने छथि, जाहि सँ ओहो सभ मसीह यीशु द्वारा उद्धार प्राप्त करथि आ तकरा संग अनन्तकालीन महिमा मे सहभागी होथि।
10 Portanto, sofro todas as coisas por causa dos eleitos, para que também eles obtenham a salvação que está em Cristo Jesus com glória eterna.
11 ई बात एकदम सत्य अछि जे,
11 Esta é uma palavra fiel: Que, se morrermos com ele, também viveremos com ele;
12 जँ हम सभ धैर्यपूर्बक कष्ट सहब
12 se sofrermos, também reinaremos com ele; se o negarmos, ele também nos negará;
13 जँ हम सभ अविश्वास करब,
13 se não crermos, ainda assim ele permanece fiel; não pode negar-se a si mesmo.
14 ई बात सभ अहाँ लोक सभ केँ स्मरण करबैत रहिऔक। ओकरा सभ केँ परमेश्वरक समक्ष चेतावनी दिऔक जे ओ सभ शब्द सभक विषय मे निरर्थक वाद-विवाद नहि करय। एहि सँ सुनऽ वला सभ केँ कोनो लाभ नहि, मात्र नोकसाने होइत छैक।
14 Traze estas coisas à memória, ordenando-lhes diante do Senhor que não contendam sobre palavras, que para nada aproveitam senão para a perversão dos ouvintes.
15 अहाँ अपना केँ परमेश्वर द्वारा ग्रहणयोग्य व्यक्तिक रूप मे परमेश्वरक समक्ष प्रस्तुत करबाक पूरा प्रयत्न करू, अर्थात् एहन कार्यकर्ताक रूप मे जकरा लज्जित होयबाक कोनो कारण नहि होइक और जे सत्यक सिद्धान्त ठीक सँ सिखबैत होअय।
15 Estude para apresentar-te aprovado a Deus, como obreiro que não tem de que se envergonhar, dividindo corretamente a palavra da verdade.
16 परमेश्वर केँ अपमानित करऽ वला निरर्थक बकवाद सँ दूर रहू, किएक तँ ओहन बकवाद करऽ वला लोक सभ आरो अधार्मिक भऽ जाइत अछि,
16 Mas foge dos falatórios profanos e vãos, porque eles produzirão maior impiedade.
17 और ओकरा सभक शिक्षा घावक सरनि जकाँ आरो पसरि जाइत अछि। हुमिनयुस और फिलेतुस एहने शिक्षा देनिहार लोक सभ अछि।
17 E a palavra desses comerá como faz a gangrena; entre os quais estão Himeneu e Fileto;
18 ओ सभ सत्य सँ दूर भटकि कऽ ई कहैत अछि जे, मनुष्य सभक मृत्यु मे सँ जीबि उठनाइ वला बात जे अछि, से भऽ चुकल अछि, और एहि तरहेँ ओ सभ किछु लोक सभक विश्वास केँ बिगाड़ि रहल अछि।
18 os quais se desviaram da verdade, dizendo que a ressurreição já passou, e destruíram a fé de alguns.
19 मुदा जे न्यो परमेश्वर रखने छथि से पक्का आ अटल अछि और ओहि पर एहि शब्द मे हुनकर छाप लागल अछि, “प्रभु अपना लोक सभ केँ चिन्हैत छथि,” आ “प्रत्येक व्यक्ति जे अपना केँ प्रभुक लोक कहैत अछि से अधर्मक काज केँ छोड़ि दअय।”
19 Todavia, o fundamento de Deus fica firme, tendo este selo: O Senhor conhece os que são seus, e qualquer que profere o nome de Cristo aparte-se da iniquidade.
20 कोनो बड़का घर मे मात्र सोने आ चानीक बर्तन नहि होइत अछि, बल्कि काठ आ माटिक बर्तन सेहो होइत अछि। एहि मे सँ किछु विशेष काजक लेल प्रयोग होइत अछि और किछु दुषित काजक लेल।
20 Ora, numa grande casa não há somente vasos de ouro e de prata, mas também de madeira e de barro; alguns para honra e outros para desonra.
21 तेँ जँ केओ अपना केँ दुषित वला बात सभ सँ शुद्ध करत तँ ओ विशेष काजक लेल प्रयोग होयबाक जोगरक पात्र होयत। ओ पवित्र भऽ अपन मालिकक लेल उपयोगी बनत, और कोनो नीक काज करबाक लेल तैयार रहत।
21 Portanto, se um homem se purificar destas coisas, será vaso para honra, santificado e idôneo para uso do Mestre, e preparado para toda boa obra.
22 जवानीक अधलाह लालसा सभ सँ दूर भागू और ओहन लोक जे सभ निष्कपट हृदय सँ प्रभु सँ प्रार्थना करैत छथि, तिनका सभक संग अहूँ धार्मिकता, विश्वास, प्रेम आ शान्तिक जीवन बितौनाइ अपन लक्ष्य बनाउ।
22 Foge também dos desejos da juventude; e segue a justiça, a fé, a caridade e a paz com os que invocam o Senhor com um coração puro.
23 निरर्थक आ उटपटाँग विवाद सभ मे नहि पड़ू। अहाँ जनैत छी जे एहि सभ सँ लड़ाइ-झगड़ा उत्पन्न होइत अछि।
23 E evita as questões tolas e sem instrução, sabendo que produzem contendas.
24 ई जरूरी अछि जे प्रभुक सेवक लड़ाइ-झगड़ा मे नहि पड़थि, बल्कि सभ पर दया करथि। ओ योग्य शिक्षक होथि आ सहनशील होथि।
24 E ao servo do Senhor não convém contender, mas ser manso para com todos os homens, apto para ensinar, paciente;
25 ई जरूरी अछि जे ओ विरोध कयनिहार सभ केँ नम्रतापूर्बक बुझबथि, ई आशा राखि जे परमेश्वर ओकरा सभ केँ अपना पापक लेल पश्चात्ताप कऽ हृदय-परिवर्तन करबाक आ सत्य केँ चिन्हि सकबाक बुद्धि देथिन,
25 instruindo com mansidão os que se opõem, a ver se, porventura, Deus lhes dará arrependimento para conhecerem a verdade,
26 जाहि सँ ओ सभ होश मे आबि शैतानक ओहि फाँस सँ निकलि जाय, जाहि मे फँसा कऽ शैतान ओकरा सभ सँ अपन इच्छा पूरा करयबाक लेल ओकरा सभ केँ अपन गुलाम बना लेने छैक।
26 e voltem a si, livres dos laços do diabo, que os mantém cativos e submetidos à sua vontade.
Atalhos do teclado
- Capítulo anterior←
- Próximo capítulo→
- Versículo anteriork
- Próximo versículoj
- Limpar seleçãoEsc
- Esta ajuda?
Estude este capítulo no WhatsApp
Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 2 Timóteo 2, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.