2 Coríntios 13

jivən səndesh (MAI) vs VC

Sair da comparação
VC Versão Católica
1 आब हम तेसर बेर अहाँ सभक ओतऽ आबि रहल छी। धर्मशास्‍त्रक नियमक अनुसार, “प्रत्‍येक बातक पुष्‍टि दू वा तीन गवाहक गवाही पर कयल जायत।”
1 É esta a terceira vez que vou visitar-vos. Pelo depoimento de duas ou três testemunhas se resolve toda a questão.
2 हम जखन दोसर बेर अहाँ सभक ओतऽ छलहुँ तहिए अहाँ सभ केँ कहलहुँ आ आब जखन अहाँ सभ सँ दूर छी तँ ओहि सभ लोक केँ जे सभ पाप कयलक और आनो लोक सभ केँ फेर कहि दैत छी जे, हम जखन घूमि कऽ आयब तँ ककरो छोड़ब नहि।
2 Quando de minha segunda visita, já adverti àqueles que pecaram, e hoje, que estou ausente, torno a repeti-lo a eles e aos demais: se eu for outra vez, não usarei de perdão!
3 अहाँ सभ तँ चाहितो छी जे हम एहि बातक प्रमाण दी जे मसीह हमरा द्वारा बजैत छथि। मसीह अहाँ सभक संग जे व्‍यवहार करैत छथि ताहि मे ओ दुर्बल नहि, बल्‍कि अहाँ सभक बीच सामर्थी छथि।
3 Simplesmente porque exigis a prova de que é Cristo que fala em mim. Ora, para convosco ele não é fraco, mas exerce o seu poder entre vós.
4 ई बात सत्‍य अछि जे दुर्बलता मे ओ क्रूस पर चढ़ा कऽ मारल गेलाह, मुदा परमेश्‍वरक सामर्थ्‍य सँ ओ आब जीवित छथि। तहिना हमहूँ सभ मसीह मे दुर्बल छी, तैयो अहाँ सभक संग जे हमरा सभक व्यवहार होयत ताहि सँ ई स्‍पष्‍ट होयत जे हम सभ मसीहक संग परमेश्‍वरक सामर्थ्‍य सँ जीबैत छी।
4 É verdade que ele foi crucificado por fraqueza, mas está vivo pelo poder de Deus. Também nós somos fracos nele, mas com ele viveremos, pelo poder de Deus para atuar entre vós.
5 अहाँ सभ अपना केँ परखू जे अहाँ सभक विश्‍वास पकिया अछि वा नहि। अपना केँ जाँचू। की अहाँ सभ ई नहि जनैत छी जे मसीह यीशु अहाँ सभक बीच मे छथि?—जँ अहाँ सभ कसौटी पर खोटा नहि निकललहुँ तँ।
5 Examinai-vos a vós mesmos, se estais na fé. Provai-vos a vós mesmos. Acaso não reconheceis que Cristo Jesus está em vós? A menos que a prova vos seja, talvez, desfavorável.
6 हमर आशा अछि जे अहाँ सभ बुझि जायब जे हम सभ खोटा नहि निकललहुँ।
6 Mas espero que reconhecereis que ela não é contra nós.
7 हम सभ परमेश्‍वर सँ प्रार्थना करैत छी जे अहाँ सभ कोनो गलती नहि करी। एहि लेल नहि, जे हम सभ पकिया प्रमाणित होइ, बल्‍कि एहि लेल जे अहाँ सभ सैह करी जे उचित अछि, भलेही हम सभ खोटा देखाइ दी।
7 Entretanto, rogamos a Deus que não façais mal algum, não para que pareçamos aprovados, mas para que vós façais o bem, embora nós sejamos tidos como reprovados.
8 कारण, हमरा सभ केँ सत्‍यक विरोध मे किछु करबाक कोनो अधिकार नहि अछि, हम सभ सत्‍यक समर्थने करैत छी।
8 Contra a verdade não temos poder algum; temo-lo apenas em prol da verdade.
9 किएक तँ जखन हम सभ दुर्बल आ अहाँ सभ सामर्थी होइत छी तखन हमरा सभ केँ आनन्‍द होइत अछि। हमरा सभक यैह प्रार्थना अछि जे अहाँ सभ मे पूर्ण सुधार होअय।
9 Alegramo-nos de ver-vos fortes, enquanto nós somos fracos. E até oramos por vossa perfeição.
10 एहि कारणेँ हम अहाँ सभ सँ दूर रहितो एहि बात सभ केँ लिखि रहल छी जाहि सँ जखन हम अहाँ सभक ओतऽ आबी तँ हमरा प्रभु द्वारा देल अधिकारक अनुसार अहाँ सभक संग कठोर व्‍यवहार नहि करऽ पड़य। किएक तँ हमरा ई अधिकार अहाँ सभ केँ खसयबाक लेल नहि, बल्‍कि अहाँ सभक आत्‍मिक निर्माण करबाक लेल भेटल अछि।
10 Eis por que eu vos escrevo de longe para que, estando presente, não tenha que usar de rigor, em vista do poder que o Senhor me conferiu para edificar, e não para destruir.
11 यौ भाइ लोकनि, आब अन्‍त मे ई जे, आनन्‍दित रहू, अपना केँ सुधारू, हमर बात सभ पर ध्‍यान दिअ, आपस मे एक मोनक भऽ कऽ शान्‍तिपूर्बक रहू। तखन प्रेम आ शान्‍ति देबऽ वला परमेश्‍वर अहाँ सभक संग रहताह।
11 Por fim, irmãos, vivei com alegria. Tendei à perfeição, animai-vos, tende um só coração, vivei em paz, e o Deus de amor e paz estará convosco.
12 पवित्र मोन सँ एक-दोसर केँ सस्‍नेह नमस्‍कार करू।
12 Saudai-vos uns aos outros no ósculo santo.
13 परमेश्‍वरक सभ लोक अहाँ सभ केँ नमस्‍कार कहैत छथि।
13 Todos os santos vos saúdam.
14 प्रभु यीशु मसीहक कृपा, परमेश्‍वरक प्रेम आ पवित्र आत्‍माक संगति अहाँ सभ गोटेक संग बनल रहय।
14 A graça do Senhor Jesus Cristo, o amor de Deus e a comunhão do Espírito Santo estejam com todos vós!

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 2 Coríntios 13, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.